Maithili AI

परिचयAbout

मैथिली लेल बनल AIAI built for Maithili

Maithili AI एकटा भाषा प्रौद्योगिकी स्टार्टअप अछि। हम मैथिली लेल AI उत्पाद बनबैत छी। मैथिली उत्तर बिहार, झारखण्ड आ नेपालक मधेश आ कोशी प्रदेशमे करोड़ो लोक बजैत छथि।

ई भारतक २२ अनुसूचित भाषा मे सँ एक अछि आ नेपालक दोसर सभ सँ बेसी बाजल जाय बला भाषा। तैयो बेसी AI मैथिल केँ हिन्दीमे जवाब दैत अछि, वा एहन मैथिलीमे जे खराब अनुवाद जकाँ लगैत अछि। एही कमी केँ दूर करबा लेल हम ई काज शुरू कयलहुँ।

हम की बनबैत छी

Maithili AI ऐप। गप्प, बाजि क' बातचीत, अनुवाद, ताजा जानकारी, चित्र बनायब आ मिथिलाक्षर (तिरहुता) मे लेखन। ई रोजुका मैथिलीमे जवाब दैत अछि, ओहि बोली आ आदरक संग जे लोक स्वयं चुनैत छथि।

Maithili AI प्लेटफॉर्म। API, जाहि सँ व्यवसाय अपन उत्पादमे मैथिली लेखन, अनुवाद, आवाज आ ट्रांसक्रिप्शन जोड़ि सकैत छथि। अनुमति प्रत्येक व्यवसाय लेल अलग सँ देल जाइत अछि।

सभ जवाबक नीचाँ नीक मैथिली सुझयबाक बटन अछि। हम ई सुधार देखैत छी आ एहि सँ सभ बोलीमे अपन उत्पाद नीक करैत छी।

व्यवसाय मॉडल

ऐप लॉन्चक समय मे मुफ्त अछि। उत्पाद बढ़ला पर सशुल्क योजना आओत। हमर मुख्य आमदनी प्लेटफॉर्म सँ होयत, जकरा लेल व्यवसाय शुल्क दैत छथि।

आइ हम कतय छी

हम जुलाई २०२६ मे एकरा बनायब शुरू कयलहुँ आ अक्टूबर २०२६ मे एकरा सभक लेल खोललहुँ। एखन धरि हम अपन पूँजी सँ काज क' रहल छी। हमर टीम एखन उत्पादक गुणवत्ता आ प्रयोगकर्ता बढ़यबा पर काज क' रहल अछि। अपन क्षेत्रक निवेशक सभ सँ हमर प्रारम्भिक गप्प भेल अछि, आ जनवरी २०२७ क आसपास पहिल निवेश जुटयबाक योजना अछि।

टीम

Maithili AI छह गोटेक टीम बनबैत अछि, जाहिमे इंजीनियरिंग, व्यवसाय आ मार्केटिंगक लोक छथि। हमर टीम देखू।

सम्पर्क

सामान्य प्रश्न लेल support@maithiliai.com, आ व्यवसाय आ API लेल api@maithiliai.com।

Maithili AI is a language technology startup. We build AI products for Maithili, a language spoken by tens of millions of people in north Bihar, Jharkhand and Nepal’s Madhesh and Koshi provinces.

Maithili is one of India’s 22 scheduled languages and the second most spoken language in Nepal. Even so, most AI tools reply to Maithili speakers in Hindi, or in Maithili that reads like a poor translation. We started this company to fix that.

What we build

The Maithili AI app. Chat, voice conversation, translation, live answers, image generation and writing in Mithilakshar (Tirhuta). It answers in everyday Maithili, in the dialect and level of respect each person chooses.

The Maithili AI Platform. APIs that let businesses add Maithili text, translation, speech and transcription to their own products. Access is approved case by case.

Every answer has a button to suggest better Maithili. We review these corrections and use them to improve how our products handle each dialect.

Business model

The app is free during our launch period, and paid plans will follow as the product grows. Our main source of revenue will be the Platform, which businesses pay to use.

Where we are today

We started building in July 2026, launched publicly in October 2026 and are bootstrapped. Our team is focused on product quality and growing our user base. We have had early conversations with investors in our region and plan to raise our first funding round around January 2027.

Team

Maithili AI is built by a team of six across engineering, business and marketing. Meet our team.

Contact

For general questions, write to support@maithiliai.com. For business and API access, write to api@maithiliai.com.