अद्यतन: ५ नवम्बर २०२६Updated 5 November 2026
गोपनीयताPrivacy
एहि पन्ना पर लिखल अछि जे Maithili AI अहाँक जानकारीक संग की करैत अछि। हम एकरा जानि-बूझि क' छोट आ सोझ रखने छी। कोनो बात साफ नहि लागय तँ हमरा लिखू, हम शब्द सुधारि देब।
की सहेजल जाइत अछि
बिना खाताक, अहाँक गप्प, सेटिंग आ चित्र अहाँक अपन फोनक ब्राउजरे मे रहैत अछि। सेटिंगमे गप्प मेटौला सँ वा ब्राउजरक डेटा साफ कयला सँ ओ हटि जाइत अछि।
प्रवेश अहाँक Google खाता सँ होइत अछि; Google हमरा अहाँक नाम, ईमेल आ प्रोफाइल फोटो दैत अछि, पासवर्ड कहियो नहि। खाता बनौला पर हम अहाँक गप्प, चित्र, सेटिंग, आ ई नाम आ ईमेल सहेजैत छी, जाहि सँ अहाँ ओकरा कोनो डिवाइस पर पाबि सकी। ई डेटा मुंबई (भारत) मे सुरक्षित सर्वर पर राखल जाइत अछि, आ एकरा केवल अहीं पढ़ि सकैत छी। बाहर गेला पर ओ ओहि डिवाइस सँ हटि जाइत अछि, खातामे बनल रहैत अछि।
अहाँक खाता, अहाँक निर्णय
मेनूमे “खाता” खोलि क' कखनो अपन नाम बदलू, सभ किछु एकटा फाइलमे डाउनलोड करू, वा खाता मेटाउ। खाता मेटौला सँ अहाँक गप्प, चित्र आ सेटिंग हमर सर्वर सँ सदाक लेल हटि जाइत अछि।
AI केँ की पठाओल जाइत अछि
जवाब देबा लेल अहाँक लिखल, फोटो आ आवाज हमर सुरक्षित सर्वर सँ हमर AI प्रणाली लग जाइत अछि। हमर AI सेवा सभ पैसा बला अनुबंध पर काज करैत अछि, जाहिमे ओ अहाँक प्रश्न सँ अपन मॉडल नहि सिखा सकैत अछि। जवाब बनलाक बाद हम आवाजक रिकॉर्डिंग नहि रखैत छी।
ताजा जानकारी आ अहाँक मोटामोटी जगह
जखन प्रश्न ताजा जानकारी माँगैत अछि, जेना समाचार वा मौसम, तखन AI इंटरनेट पर खोजैत अछि। “आजुक मौसम” सन प्रश्नक ठीक जवाब देबा लेल हम AI केँ ओ शहर आ देश बतबैत छी जतय सँ अहाँक इंटरनेट अबैत बुझाइत अछि। ई अहाँक IP पता सँ ओही एक प्रश्न लेल निकालल जाइत अछि; हम एकरा सहेजैत नहि छी आ अहाँक सटीक जगह कहियो नहि माँगैत छी।
सुधार आ रेटिंग
जखन अहाँ कोनो जवाब केँ नीक-बेजाय कहैत छी वा नीक मैथिली सुझबैत छी, तखन हम ओ जवाब, अहाँक सुधार आ चुनल बोली सहेजैत छी। एकर उपयोग केवल Maithili AI क मैथिली नीक करबा लेल होइत अछि, आ ई ककरो आन केँ नहि देखाओल जाइत अछि।
आँकड़ा
कतेक लोक आबैत छथि आ कोन सुविधा बेसी काजमे अबैत अछि (जेना कतेक चित्र बनल), से जानबा लेल हम Google Analytics प्रयोग करैत छी। ई कुकी प्रयोग करैत अछि, आ एकरा अहाँक लिखल, आवाज वा चित्र कहियो नहि भेटैत अछि। हम डेटा नहि बेचैत छी आ विज्ञापन नहि देखबैत छी।
प्लेटफॉर्म आ API
जे व्यवसाय हमर API प्रयोग करैत छथि, हुनकर पठाओल पाठ आ ऑडियो जवाब बनयबा लेल हमर AI प्रणाली लग जाइत अछि आ हम ओकरा नहि सहेजैत छी। हम अनुरोधक संख्या आ API कुंजीक अंतिम प्रयोगक तिथि रखैत छी। कुंजी स्वयं नहि, ओकर सुरक्षित हैश टा राखल जाइत अछि।
उमेर
Maithili AI १८ बरख वा ओहि सँ बेसी उमेरक लोक लेल अछि।
सम्पर्क
अपन डेटा सँ जुड़ल प्रश्न वा कोनो अनुरोध लेल लिखू: support@maithiliai.com
This page explains what Maithili AI does with your information. We keep it short and plain on purpose. If anything here is unclear, write to us and we will fix the wording.
What we store
Without an account, your chat history, settings and paintings stay in your own browser on your device. Deleting your chats in Settings, or clearing your browser data, removes them.
You sign in with your Google account; Google gives us your name, email and profile photo, never your password. With an account, we also save your chats, paintings, settings and that name and email, so you can use them on any device. This data is stored on secure servers in Mumbai, India, and only you can read it. When you sign out, we clear it from that device; it stays in your account.
Your account, your choice
Open Account from the menu at any time to change your name, download everything as a file, or delete your account. Deleting the account removes your chats, paintings and settings from our servers for good.
What is sent to the AI
To answer you, the text, photos and voice recordings you send go through our secure servers to our AI systems. Our AI providers work under paid agreements that do not allow them to use your requests to train their own models. We don’t keep voice recordings after the answer is made.
Live answers and your rough location
When a question needs current information, such as news or weather, the AI searches the web. To make answers like “today’s weather” useful, we tell the AI the city and country your internet connection appears to come from. This is worked out from your IP address for that one request; we do not store it and never ask for your exact location.
Corrections and ratings
When you rate an answer or suggest better Maithili, we save that answer, your correction and the dialect you chose. We use these only to make Maithili AI better at Maithili, and never show them to anyone else.
Analytics
We use Google Analytics to count visits and see which features are used (for example, how many paintings are made), so we know what to improve. It uses cookies and never receives your messages, voice or paintings. We do not sell data or show ads.
Platform and API
When a business uses our API, the text and audio it sends go to our AI systems to produce the result, and we do not store them. We keep the number of requests and the date each API key was last used. We store only a secure hash of each key, never the key itself.
Age
Maithili AI is meant for people aged 18 and over.
Contact
Questions about your data, or a request we can help with: write to support@maithiliai.com.